Vimarsh

Vimarsh

Share

विमर्श एकटा वैचारिक उपक्रम अछि, मिथिला-मैथिलीक विविध आयामक। भाषा, संस्कृति, लोक आ समाजक।

13/12/2025

मैथिली मंचक सुप्रसिद्ध उद्घोषक, सहर्ष मिथिलाक सम्पादक आ मैथिली सिनेमाक इतिहासक लेखक किसलय कृष्ण मिथिला-मैथिलीक परिधि मे एकटा चर्चित नाम अछि। मैथिली सिनेमा, संगीत आ साहित्य सँ सम्बद्ध जानकारी सभक श्रोत-समुच्चय, मैथिलीक मंच सँ मचान धरि सदति सक्रिय आ समर्पित एहि व्यक्तित्व केँ हुनक जन्मदिवस पर आत्मीय शुभकामना।

01/08/2025

•|• गुरुदेव कामत : पुण्यतिथि पर सादर स्मरण

गुरुदेव कामत। जेहने विरल प्रतिभा तेहने सहज व्यक्तित्व। मातृभाषाक प्रति अपनत्व आ समर्पणक एकटा एहन अप्रतिम प्रतिमूर्ति जिनका प्रति स्नेह आ श्रद्धा सँ सहजहि समस्त मिथिला नतमस्तक होइत अछि।

मैथिली गीत-संगीतक एकटा एहन विराट व्यक्तित्व जिनक उपस्थिति सँ मैथिली संगीतक निजता आ विशिष्टता परिभाषित होइत रहल अछि। अपन साधना आ स्वर सँ मैथिली गीत-संगीतक जे ओ प्रतिमान गढ़लनि अछि से आगत पीढ़ीक हेतु एकटा आदर्श अछि आ मार्गदर्शक सेहो। सुचिता आ निजताक एहन लोकग्राह्य समागम अन्यत्र भेटब दुर्लभ अछि।

गुरुदेव कामत केँ सुनब एहि गौरवबोध केँ आत्मसात करब अछि जे एहन प्रवीण आ माधुर्य सँ भरल स्वरक स्वामी हमर सभक अपन माटिक लोक छथि। अपन मातृभाषाक लोक छथि। लोक कंठ मे बसल मैथिली गीतक दिकपाल छथि। मैथिलीक अजस्रताक संवाहक मैथिल पूत छथि। मैथिलीक गुदरी आँचरक मणि-माणिक्य छथि।

कहियो जॉर्ज गियर्सन विद्यापतिक संदर्भ मे लिखने रहथि जे जहिया धरि कमला आ कोशि मे पानि रहत विद्यापतिक महेशवाणी एहि समाज मे जिबैत रहत से तहिना आइ ई कहब कोनो अतिशयोक्ति नहि होएत जे जहिया धरि मैथिलीक गीत-संगीत रहत तहिया धरि गुरुदेव कामत एकर अन्यतम ध्वजवाहक बनल रहताह।

ई दिप तँ मिझाएल अछि सिरहाक पोखरभिण्डा गाम मे मुदा आइ अन्हार सगर मिथिला अछि। एकटा एहन अन्हार जकर नैपथ्य मे ठाढ़ कोटि-कोटि मैथिलक आँखि नोराएल अछि आ कम्पित ठोर सँ निकसैत अछि गीत ! कहाँ गेलै सुरमा सलहेस ! एहि अन्हार सँ भोरक बाट देखबैत आब केँ उठाओत मिथिला केँ ? आब तेना क' केँ गाओत "उठू यौ मैथिल भेलै भोर" ...

Want your establishment to be the top-listed Arts & Entertainment in Kathmandu?
Click here to claim your Sponsored Listing.

Category

Address


Kathmandu
Kathmandu
00466